Posts

【चर्चा】

Image
  हारलहुँ  हम   हँ  हारलहुँ   एकबेर नहि   बेर - बेर,     मुदा   डेरेलहुँ नहि   मिसियो भरि नहि   आ नहिये डेरायब   विश्वास अछि मोनमे,       मेहनत सँ अगा   बढ़बाक  अछि   बढ़िते रहबाक अछि   एकदम निडर भ'क'    हँसि रहल अछि संसार    हमरापर सदिखन    हँसैत रहतै अहिना    हम बढ़ैत रहबै सभदिना,    हमर दर्द पर      नहि करतैक'    कियो चर्चा,    चर्चा करतैक'      त'  बस,     हमर  सफलता पर     बस,हमर सफलता पर ....।।   ✍🏻 पूनम झा 'सुधा'